हमर दुःख मेटब कहिया मैथिली देवी गीत Lyrics, Video, Bhajan, Bhakti Songs
हमर दुःख मेटब कहिया मैथिली देवी गीत Lyrics, Video, Bhajan, Bhakti Songs

हमर दुःख मेटब कहिया मैथिली देवी गीत लिरिक्स

Hamar Dukh Metab Kahiya

हमर दुःख मेटब कहिया मैथिली देवी गीत लिरिक्स (हिन्दी)

काज सँवारी निज,
भक्तक हे महारानी,
जगजननी कल्याणी,
हमर दुःख मेटब कहिया,
कखन माँ हरब विपतिया,
दिअ ने दरश हे मईया,
काज सँवारी काज सँवारी।।

महिमा अहाँके मईया,
बड्ड सुखकारी,
खाली नै गेल आयल,
बनि जे भिखारी,
जे कियो किछ भी,
मंगलक देलहुँ भवानी,
जगजननी कल्याणी,
हमर दुःख मेटब कहिंया,
कखन माँ हरब विपतिया,
दिअ ने दरश हे मईया,
काज सँवारी काज सँवारी।।

निज भक्तक कल्याण करै छी,
सभकेँ एक समान बुझै छी,
हमरा बेर किया,
फ़ेरलहुँ नैना शिवानी,
जगजननी कल्याणी,
हमर दुःख मेटब कहिंया,
कखन माँ हरब विपतिया,
दिअ ने दरश हे मईया,
काज सँवारी काज सँवारी।।

हे श्यामा हे कोइलख वाली,
भरू मुकेशक झोली खाली,
सुनब नै आहाँ त,
जैब कत इंद्राणी,
जगजननी कल्याणी,
हमर दुःख मेटब कहिंया,
कखन माँ हरब विपतिया,
दिअ ने दरश हे मईया,
काज सँवारी काज सँवारी।।

काज सँवारी निज,
भक्तक हे महारानी,
जगजननी कल्याणी,
हमर दुःख मेटब कहिया,
कखन माँ हरब विपतिया,
दिअ ने दरश हे मईया,
काज सँवारी काज सँवारी।।

हमर दुःख मेटब कहिया मैथिली देवी गीत Video

हमर दुःख मेटब कहिया मैथिली देवी गीत Video

Browse all bhajans by Mukesh Jha
See also  हे काली माय गोर लगाई छी हुओं सहाय भोजपुरी भजन Lyrics, Video, Bhajan, Bhakti Songs

Browse Temples in India